विकी लभ्स अर्थ २०१७ विश्वव्यापी फोटो प्रतियोगिता विकी लभ्स अर्थक चारिम संस्करण छी । १ मई, २०१७ सँ ३१ मई, २०१७ धरि आयोजना कएल जाइवला प्रतियोगितामे सहभागीसभ अपन अगल बगल रहल प्राकृतिक सम्पदासभक फोटो खिँच विकिमिडिया कमन्समे अपलोड कऽ सकैत छी ।
विकिपिडियाद्वारा पहिल बेर सन् २०१३ मे आयोजित ई प्रतियोगिताकें विकिमिडिया अध्यायक दोसर रोचक प्रतियोगिताक रूपमे सूचिकृत कएल गेल छल । सन् २०१३ मे ई प्रतियोगिता विकिमिडिया युक्रेन अकेले पहिल बेर आयोजना केनए छल । सन् २०१४ आ २०१५ मे युक्रेन, नेपाल, ब्राजिल, जर्मनी लगायत १५ सँ बेसी राष्ट्सभ सहभागिता जनेनाए छल । नेपालक तरफसँ मात्र सन् २०१४ २०१५ आ २०१६ करि करिब ८३०० सँ बेसी चित्रसभ ई प्रतियोगितामे अपलोड भेल अछि ।
सामाजिक सञ्जालसभ जना (Facebook, Twitter, Google+, etc) मे सेयर करि आ #WLENepal #WLE2017 ह्यासट्याग प्रयोग करी
हमरसभक बारेमे ब्लग लिखी
प्रतिस्पर्धामे भाग लिअ
फोटो खिचवाक लेल क्यामेरा, इन्टरनेट वा फोटो अपलोड करैवाला स्थान दऽ सहयोग करी
अहाँद्वारा व्यवस्थापन भऽ रहल राष्ट्रिय निकुञ्ज वा प्राकृतिक क्षेत्र भ्रमण करैक व्यवस्था मिलाए दिअ
हमरासभके सन्देश या इमेल पठाबी maithiliwikimedians@gmail.com
समय तालिका
आरम्भ तिथि: १ मई 2017
समाप्ति तिथि: ३१ मई 2017
प्रतियोगिता नतिजा सार्वजनिक तिथि: १० जुन 2017
पुरस्कारसभ
उत्कृष्ट ३ फोटोसभकें नगद पुरस्कार देल जाइत ।
१५,००० NPR
१०,००० NPR
५,००० NPR
अन्य श्रेणीसभ
उत्कृष्ट योगदानकर्ता (चित्र अपलोडक आधारमे) ५,००० नेरू
शीर्ष १० योगदानकर्तासभ (चित्र अपलोडक आधारमे) कें एक एक विकी लभ्स अर्थ टि-सर्ट देल जाइत संगे प्रतियोगितामे भाग लेनिहार सम्पूर्ण प्रतियोगीसभके प्रमाण पत्र प्रदान कएल जाइत ।
सम्पर्क करी
कोनो जानकारीक लेल हमरसभक फेसबुक तथा ट्विटर पृष्ठसभसँ आवद्ध रही । प्रतियोगिता सम्बन्धी कोनो जानकारी वा सहायताक लेल इमेलद्वारा सन्देश पठाबीː Wikimedia-mailists.wikimedia.org
थप जानकारीक लेल नीचा रहल हमरसभक आधिकारिक पृष्ठसभमे जाए:
अपलोड करैवला चित्र अहाँ स्वयंके होमए पडत मई महिनामे अपलोड कएल गेल चित्रसभ मात्र गणना कएल जाइत सम्पूर्ण फोटोक प्रतिलिपि अधिकार सिसि बाय-एसए ४.० होमए पडत आयोजक समितिद्वारा प्रतियोगीके सम्पर्क कएल गेला कारण प्रतियोगीसभक सक्रिय इमेल खाता होमए पडत
कोना सहभागी भेल जाए
कोनो भी प्राकृतिक सम्पदाक फोटो तयार करी विकिमिडिया कमन्सममे सम्प्रवेश करी वा खाता खोली अपलोड करैसँ पहिने अपनाआपकें पञ्जीकृत करी फोटोके नामाकरण नीकसँ करी उपरमे रहल हमरसभक अपलोड बटमवा यतय क्लिक करि फोटो अपलोड करी हमरसभक ह्यासट्याग: #WLENepal #WLE2017 प्रयोग करि अपन अपलोडक सम्बन्धमे सामाजिक सञ्जालमे सेयर करी नतिजाक लेल तयार रही! शुभकामना!
अपलोड कएल जाइवला चित्र
कोनो भी प्राकृतिक सम्पदाकें फोटो, किछ नीचा देल गेल अछि